–सिमा चौधरी
जनकपुरधाम, १६ माघ । आई नरक निवारण चतुर्दशी, बाबा भोलेनाथके पूजापाठ कऽ मनाओल जारहल अछि । महाशिवरात्रिसँ ठिक एक महिना पहिने माघ मासक चतुर्दशीक ई तिथि अबैत अछि ।

धार्मिक ग्रन्थक अनुसार, बाबा भोलेनाथ आ मैया पार्वतीक आजुक दिन विवाहक लेल दिन तय कएलगेल छल आ शिवरात्रिक दिन विवाह भेल छल । आजुक दिन व्रत कएलासँ बैवाहिक जीवन सुदृढ होयबाकसँगे सुख शान्ति, समृद्धि सहित सन्तान निरोग होयबाक जन विश्वास अछि ।

बाबाक पुजाक हेतु आई भिन्सरेसँ जनकपुरक शिवचोकस्थित शिवमन्दिर, कुवाक कुपेश्वरनाथ, कपिलेश्वरक कपिलेश्वरनाथ, महेन्द्रनगरके क्षिरेश्वरनाथ सहित विभिन्न शिवालयसभमे भीड लागल अछि । आजुक दिन व्रतक रातिके बैरसँ पारण करबाक आ भोजनमे सिमक तरकारी खेबाक मिथिलाक परम्परा अछि ।

एम्हर आईसँ बसन्तक आगमन सेहो भचुकल अछि । मिथिलाञ्चलमे महिला लोकनी बसन्तक आगमनसँग, पियर, गुलाबी परिधानके विशेष महत्व होरीक शुरुवात करैत छथि । लोक तहिना शुभकार्यसभमे होरी गीतके प्राथमिकता सेहो देल जाइत अछि ।

आजुक दिन मिथिला सहित विहारक कमरथुआसभ वैद्यनाथधाममे बाबाके जल चढेबाक हेतु घरसँ विदा होइत छथि । सुल्तानगंजमे जल बोइझ सरस्वती पूजाक दिन बाबाके जल चढाओल जाइत अछि ।

नरक निवारण चतुर्दशीक मंगलमय शुभकामना !